२४ चैत्र, विनोद यादव, सप्तरी । संयुक्त विद्यार्थी संगठन विभिन्न माग सहित शिक्षामन्त्री गिरिराजमणि पोखरेलके मंगलदिन ज्ञापनपत्र बुझौलक अछि । संस्थागत विद्यालयके शुल्क निर्धारण करइ बनल प्राविधिक समिति पेश केने वैज्ञानिक शुल्क मापदण्ड अहि वर्षस कार्यान्वयन करइ विद्यार्थी संगठन माग केलक अछि । शिक्षामन्त्रालयमे ज्ञापनपत्र बुझाबैत ओसब त्रिभुवन विश्व विद्यालय आ कृषि तथा वन विश्व विद्यालय बीचके विवाद जलदिए अन्त्य करइ परबाक, विद्यालय तहमे विदेशी शैक्षिक कार्यक्रम बन्द करइ करबाक, त्रिभुवन विश्वविद्यालय सब वर्ष करबाक शुल्कवृद्धि बन्द करइ परबाक, त्रिवि अपन आङ्गिक क्याम्पसमे दैत आएल २०५ छात्रवृत्ति यथावत् कायम राखय परबाक सहितके माग राखलक अछि । ज्ञापनपत्र बुझाबैत शिक्षामन्त्री पोखरेल मागसब सकारात्मक भेलास कार्यान्वयनके प्रकृया अगाडि बढेबाक बतौने नेविसंघके अध्यक्ष रञ्जित कर्ण जानकारी देलक अछि ।

तपाईको प्रतिक्रिया

trusted online casino malaysia